शुक्रवार, 25 अप्रैल 2014

चुनाव क्षेत्र सं वार्तालाप -लाइव !

चुनाव क्षेत्र  सं वार्तालाप -लाइव !
हे यौ .कत् छी ?
अस्पतालक जतरा में..
एं ?आहाँ त कहि क गेल छलहुं इलेक्सन ड्यूटी में जा रहल छी .हे ,भोला बाबा .सब ठीक होई .
ठीक की रहत ,सरकार इलेक्सन  करवाबय क लेल एक टा ट्रेक्टर देने अछि  ,ओहि पर चढल  धकर-धकर चलल जा रहल छी .बुझि पडैत अछि सबटा हड्डी पसली चूर भ जायत.तखन अस्पताले जाय पड्त की ने ?
कनी कालक बाद .
हे यौ पहुँचलौं?
हँ ,पहुँचलहुं .पहुँच गेलहुं.  की बात?
ओत् भोजनक की व्यवस्था थिक?
की कहू ,जों आहाँ  संग में ,सतुआ भरल परोठा नही दितौं  त बुझू .भुक्ले प्राण छुईट  जाईत् .
यौ ,ओना ने बाजू .तखन सुतय के इन्तिजाम सरकार किछु केने अछि?
अहूँ क्खनो क बिखे बजैत छी .सरकारक   बेटाक  बीयाह छैक  की ? ई सरकारी इस्कूल छैक , दस टा बेंच जोड़ी क कहूना सुतय  के प्रयास करब .कोनों तरहे राति बीत जाय ..भोरे त  बुझैया चाहो पर आफत !
हे प्रभु .जतेक सरकारी नौकरी में दई ने  छी ,दुईये दिन में सबटा असुइल लईत  छी .
ई उचित नहि करैत छी .