बुधवार, 1 अप्रैल 2015

आजुक गाम

बहुत दिनक बाद ,किछु दिन गाम में बितयबाक अवसर भेटल .एखुनका गामक स्थिति आ पहुलका गामक स्थिति में बहुत अंतर बुझायल., गाम घर आब ओ गाम घर नहि रहि गेल अछि.हम बहुत पुरान दिनक गप्प नहि  कहि रहल छी. आई सं बीसे-पचीस बरख पहिने तक मिथिलांचलक सामाजिक परिवेश ,रहन –सहन , बात –विचार, आन कोनों समाज सं सुंदर आ परिष्कृत, सुसंस्कृत छल . हमर स्मृति में एखनो अप्पन गामक ओ साझी अंगना क दृश्य ओहिना अंकित अछि..चोकोर आकार वाला आंगन .
  अहि में कोनों शकक गुंजाईश नहि जे आब मिथिलांचल  सम्पन्न भेल जा रहल अछि .अधिकतर मकान पक्का थिक,छत पर एंटीना ,दलानक आगां मोटर साईकिल  अथवा चरिपहिया ,लोकक सम्पनता पहिरब –ओढब,में मकान –दूकान देखि क बुझल जा सकैत अछि .भले ही ई सम्पन्नता क्षेत्र सं बाहर जा क कमा क प्राप्त कैल गेल होई ..कियैक त स्वतंत्रता के बाद ,सब सरकार द्वारा एहि क्षेत्र क अवहेलना कैल गेल अछि ..नहि कोनों उद्योग के स्थापना कैल गेल आ ने व्यापार के प्रोत्साहन देल गेल . तखन ई तथ्य सत्य थिक जे प्रतिभा  कोनों ने कोनों बाटे अपन रास्ता निकालिए लईते अछि .तैं देखल जा रहल अछि जे मिथिला वासी दोसर  –दोसर क्षेत्र में जा क अपन प्रतिभा के झंडा गाड़ी रहल छथि ,.आ ओहि उपार्जित धन सं अपन गाम घर परिवारक जीवन स्तर बढा रहल छथि .
               उपरी तौर पर ई देखि मोन प्रसन्न भ गेल ,लेकिन जखन अहि सम्पनता क तह में जाऊ त बुझा पड्त जे ,जेना –जेना लोक सम्पन्न भेल जाईया ,तेना –तेना ओकर समाजिकता समाप्त भेल जा रहल थिक .फलना बाबु के बेटा अमेरिका में नौकरी करैत छनि ओ बोरिय में नोट कसि क अपन माँ –बाप के पठबैत छनि .ओ गुमाने टर्र रहैत छथि .आब ओ ककरो दलन पर कियैक जेता ?अप्पन पैघ मकान में ग्रील्क अंदर एसगर ,लोकक प्रतीक्षा में बैसल रहैत छथि मुदा कियो हुनका दलान पर नहि जाईत छनि कारण चिलना बाबुक बेटा सेहो इंग्लैण्ड सं पाई पठबैत छनि जे मिथिलांचल अपन समाजिकता क लेल जानल जाईत छल,धीरे –धीरे समाप्त भेल जा रहल अछि.बडका-बडका ,मकान ठोकि ओकरा दुनू दिस ग्रिल में ताला बंद क अपना आप के ओहि में कैद क नेने अछि, आब कियो ककरो अंगना नहि जाईत छैक .नोते-हकारे भेंट भेल त भेल .

         ओम्हर युवा वर्ग के उर्जा व्यर्थक काज में नाश भेल जा रहल अछि दियाद –बादक ,राजनीति में ओझरायल युवा वर्ग चाहय त बहुत  किछु कय सकैत अछि ,आवश्यकता छैक हुनका अवसर प्रदान करय के . . .                  .