शुक्रवार, 14 फ़रवरी 2020

मैथिल वैलेनटाईन डे।(प्रेमक पाबनि)

आई भोरे भोर मिसराईन  मिसर जी के कहलखिन,  हेयौ  सुनई छी,आई हम्मर सबहक पाबनि अछि। मिसर ज़ी अकचका क पुछलखिन ,से की?  मिसराईन व्याख्या केलखिन , आई वेलेटाइन डे छैक ।आई संपूर्ण दुनिया प्रेमक पाबनि मना रहल अछि। अहि पाबनिक मंत्र अछि  'आई लाभ यू 'आ बिध बिधान भेल ,रंग बिरंगक गिफ्ट, घुमेनाई,फिरनाई आ पूर्णाहुति होटल गेला पर होई छैक।
मिसराईन उपराग  दईत बजलखिन यौ आहां त  कहियो हमरा 'आई लभ यू नहि कहलियै।
मिसर ज़ी क माथा घूमि गेलनि, मोने मोन सोचलनि जौं अहि फेर में पड़ब त बड़का चक्कर में फंसनाई निश्चित ।
कहलखिन हे यै ,अपना सबहक ई सब मनेबाक उमरि आब नहि अछि, जाक ऐना में अपन मुंह देखू आ हमर विशाल धोधि।  अरे ई  सब त अंगरेजबा सबहक करस्तानी छैक  अपन दोकानदारी चलेबाक चलाकी  ।नबका छौड़ा  छौड़ी बताह भेल रहैत  अछि।  सबटा बात मुहे सं कहल ताकि?
किछु बातक अनुभवक सेहो  कैल जाई छैक। कहैत मिसर जी  बजार दिस विदा  भेला,  मिसराईन मूल लटकौने भानस भातक ओरियान में लागि गेली।
थोड़बे काल में मिसर जी अपन कनियाँ के शोर पाड़लखिन कहलखिन हे यै एम्हर आऊ ने ,देखू केहन टटका माछ अनलहूं अछि,।
आंहा  हाथक माछ खेला बहुत दिन भय गेल छल।फटा फट रांन्हि लिअ,
 दूनूगोटे संंगे खैब ।
माछ प्रेमी मिसराईन माछ रंधवाक ओरियान  में मगन भ गेली।मिसर मिसराईन क (प्रेमक पाबनि मानि रहल अछि।)
 यैह  अछि अपना सबहक वैलेनटाईन डे।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें